Saturday, May 9, 2015

1.साँझ पावनि







साँझ पावनि

सामग्री

  • लगजोरी
  • मौनी
  • कोनिया
  • कोहा
  • सरवा(2)
  • साग-सब्जी (सात तरहक)
  • कारी तील
  • पान कय पात
  • सुपारी
  • गेरली
  • दुईचुलिहां चूल्हा
  • आम क पात
  • खर
  • रुईया
  • चौर क आंटा
विधि
एक दिन पहिने कनिया नहा धोय कय अरवा भोजन करथिन.
साँझ खन भगवती ,महादेव ,ब्राह्मण ,हनुमान और गौरी कय गीत गावि, दुईब ,कांच हल्दी ,धनिया (कनी )मिला क गौर बनत,जकरा ढउरल सरवा पर एकटा सिक्का पर गौरी  राखि पान क पात स झापि ,पान क पात क ऊपर सिंदूरक गद्दी राखि ललका कपडा स झापि  भगवति लग राखि देवेइ I
तिला संक्रांति दिन 
साँझ खन अंगना में पश्चिम दिस चौकोर तीन टा अरिपन जाही भीतर पांच टा  * बनत
उत्तर दिश तीन टा गोल अरिपन परत जाही भीतर सेहो पांच टा * रहत
लगजोरी के चारी टा में से एक टा में चौरक आंटा में सिन्दूर मिलायल रहत ,दोसर में चौरक आंटा में कनी हरिद ,तेसर में सुपारी और गेरली रहत आ चारिम में बेलपत्र रहत .
सबटा अरिपन पर कनिया गेरली पर सुपारी राखी पूजा करथिन .
पश्चिम दिस में पीअर चौर स पूजा हेतई,जकर मंत्र ...

“संझे संझे महा संझे पहिल संझे ,

से संझे ककरा दी,जाय क दी

जाय अहियब ,हम सुहियब

नमस्ते ,नमस्ते .”


उत्तर दिस में लाल चौर स पूजा हेतई ,जकर मंत्र ...

“उत्तरैन छी ,दक्षिणेन छी

जी छी ,जान छी ,लक-थक थान छी

से थान ककरा दी,जाय क दी

जाय अहियब ,हम सुहियब

नमस्ते ,नमस्ते “


भगवती घर में आम के पात से बनायल थारी पर भात ओही ऊपर घी में भूजल सात तरहक साग सब्जी राखी के पांच टा खर पर रुई में घी लगा क भात पर गाङि   देवईI
कोनिया में सात टा छोट छोट ढेरी रहतय (लवंग ,कारी तील,इलाइची ,सुपारी और सिन्दूर )
मौनी में सात तरहक साग सब्जी कांचे राखल रहत
दु चुलिहा में एक टा पर कोहा में चौर रहत आ दोसर पर मौनी रहत,जकरा कनिया उसगरति I
कनिया तीनू गौर पुजती आ सिंदूर के ढेरी केआँचर स झापने रहती ,भाई चांदी से सबटा ढेरी आ भात के कटथिंन .कनिया पांच टा अहिवाती के भात देथिन और वेह खा के रहती I








एकटा छोट प्रयास ,कुनु त्रुटि भेला स क्षमा करब  I


4 comments:

  1. वाह बहुत सुंदर । सांझ पूजाक निस्तार के विधि सेहो बताओल जाय ।

    ReplyDelete
  2. Jabardast bahut Sundar jai mithila

    ReplyDelete
  3. कियो गौरी पुजा मंत्र बताबूं ने

    ReplyDelete